काठमाण्डू । राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेल विश्वव्यापी अवधारणाके रूपमे स्थापित राष्ट्रिय क्याडेट कोर (एनसिसी) युवासभमे राष्ट्रियता, देशभक्ति, नेतृत्व, आत्मविश्वास आ राष्ट्रसेवा जकाँ गुणसभ विकास तथा प्रवर्द्धन करब सकारात्मक भेल बताैलैन अइछ । एनसिसी युथ एक्सचेन्ज प्रोग्रामअन्तर्गतके सहभागीक लेल राष्ट्रपति निवास शीतल निवासमे आइ आयोजित कार्यक्रमकेँ सम्बोधन करैत ओ उक्त धारणा व्यक्त कएने अइछ।
“अइसँ विभिन्न देशक युवाकेँ एकत्रित क हुनकासभकेँ बफादार, अनुशासित, जिमेवार, भविष्यक प्रभावशाली नेतृत्वकर्ता आ असल नागरिकके रूपमे रूपान्तरणके काज करैत आएल अइछ, अइसँ युवासभमे राष्ट्रियता, देशभक्ति, नेतृत्व, आत्मविश्वास आ राष्ट्रसेवा जकाँ गुण विकास तथा प्रवर्धनके काज होएब खुशीक विषय छियै”, राष्ट्रपति पौडेल कहलैन ।
एहन युवा आदानप्रदान कार्यक्रमसँ नेपाली सेना मित्र राष्ट्रके सेनासँ आपसी सम्बन्धकेँ मजबुत बनेबाक सङे क्याडेटबीच सीप, संस्कृति आ परम्पराके आदानप्रदान करबाक स्वर्णिम अवसर प्राप्त भेल ओ बतौलैन ।
