२१ जेठ २०८३, बिहिबार

प्रतिनिधि सभा निर्वाचन निष्पक्ष आ बिना धाँधलीके सम्पन्न करबाक माँग

Logo
आजको अपडेट शुक्रबार, फाल्गुण ०१, २०८२

काठमाण्डू । राष्ट्रिय सभा सांसदसभ इएह फागुन २१ गते होएबला प्रतिनिधि सभा निर्वाचन निष्पक्ष आ भयमुक्त वातावरणमे सम्पन्न करबाक लेल सरकारक ध्यानाकर्षण करौलक अइछ ।

आइ भेल बैसारक शून्य समयमे बाजैत सांसद शारदादेवी भट्ट निर्वाचनक २० दिन मात्रे बाँकी रहल उल्लेख करैत देशभैर भयमुक्त, बिना धाँधलीके आ निष्पक्ष रुपमे संयमतापूर्वक निर्वाचन सम्पन्न होबाक चाही से धारणा व्यक्त केलैन ।

तहिना, सांसद गङ्गा कुमारी बेल्वासे दैलेख जिलामे पहिचान भेल पेट्रोलियम उत्खनन क व्यावसायिक उत्पादन सुरु करैत आन्तरिक आवश्यकता पूर्ति करबाक चाही से धारणा व्यक्त केलैन ।

सांसद गोपाल भट्टराई समाजकल्याण परिषद्क करार सेवाके किछ कर्मचारीकेँ निष्काशन कएल गेल विषय सदनमे उठौलैन ।

सांसद सुमित्रा विसी देशक विभिन्न भागमे हत्या हिंसा बइढ़ रहल समाचार प्रकासन प्रसारण भ रहल कहैत एहन घटनामे संलग्नकेँ गिरफ्तार क कारबाही आ पीड़ितके न्यायके लेल पहल करबाक चाही से बतौलैन ।

प्रतिक्रिया
हाम्रो बारे

कोशी ब्रोडकास्टीङ्ग नेटवर्क प्रा. लि.
कम्पनी दर्ता नं. ३५२१४१
सूचना विभाग दर्ता नं.४९३९-०८१/८२
प्रेस काउन्सिल दर्ता नं.४९४०-०८१/८२

हाम्रो टीम

अध्यक्ष  : डुमरलाल मेहता

सम्पादक : रणजीत कुमार मेहता

सम्पर्क

Address: Biratnagar, Morang

Gmail: [email protected]

Phone: 021-476000, 9863003300